Home / बातचित / व्यवसायके बाद राजनीतियोमे लागबः अशोक कुमार चौधरी, नवनिर्वाचित अध्यक्ष निर्माण व्यवसायी संघ धनुषा

व्यवसायके बाद राजनीतियोमे लागबः अशोक कुमार चौधरी, नवनिर्वाचित अध्यक्ष निर्माण व्यवसायी संघ धनुषा

निर्माण व्यवसायी संघ धनुषाक अध्यक्षमे अशोक कुमार चौधरी निर्वाचित भेलाह अछि । भवन निर्माण पहिल लक्ष्य लऽ आगा बढि रहल चौधरीके आओर कोन कोन योजना सभ अछि एहि सम्बन्धमे हुनका संग दूधमतीक सम्पादक सुजीत कुमार झा बातचित कएलन्हि ।


प्र. अपनेके पहिल लक्ष्य कि अछि ?
धनुषा निर्माण व्यवसायी संघके अपन भवन होइक ताहिमे लागल छी । चारि पाँच महिना भितर अपना भवनमे जाएब से प्रतिवद्धता व्यक्त करैत छी ।
प्र. भवनके शिलान्यास भेला कए वर्ष भऽ गेल किए नहि अखनधरि भवन निर्माणक कार्य पूरा भऽ सकल ?
निर्माण व्यवसायीके अपन पेशा बहुत चुनौतीपूर्ण रहैत अछि । कनिको बाहरके समय नहि बचैत अछि । किछु प्राविधिक कारण भेल हेतैक ओ हमरा नहि बुझल अछि तखन सभ गोटे मिल कऽ अपना भवनमे जाएब ताहिमे आब कोनो रोकावट नहि अछि ।
प्र. निर्माण व्यवसायीके प्रमुख समस्या अपने कि देखि रहल छियैक ?
संघ आ प्रदेश बैनि गेल अछि मुदा डिलिंग के करत, कोना करत ई समस्या अखनो यथावते अछि । जकर मार सभसँ बेसी निर्माण व्यवसायी उपर पैड रहल अछि ।
प्र. एकर निकास कि छैक ?
प्रदेश सरकार बजेटक विनियोजन करैक आ समयमे ठेक्केदारके पैसा दैक ताहिमे काज करए पडतैक । हमहुँसभ संघक माध्यमसँ हुनकासभ पर दवाब बनाएब । एखन हचुवाक भरपर काज भऽ रहल अछि ।
प्र. निर्माण व्यवसायी बैसले बैसले लाखो रुपैया कमा लैत अछि एहन कहावत छैक एहिमे कतेक सत्यता छैक ?
कनिको नहि । बहुत मेहनत छैक । जोखिम सेहो ओतबे बेसी छैक । तखन ईमान्दारीपूर्वक काज करैत छैक तऽ कमाइयो छैक । ई व्यवसाय छैक निर्माण । देश निर्माणमे निर्माण व्यवसायीके बहुत बडका योगदान छैक । मुदा तकर मूल्यांकन नहि भेलाक कारण खाली पैसाक चर्चा बेसी होइत छैक ।


प्र. ईहो सत्य अछि ठेक्केदारसभ काज बहुत ढिलिया कऽ करैत अछि ?
नहि, अहुँमे राज्य दोषी अछि । सिँचाइएके मध्यम काजके ५० लाख अछि तऽ १० लाख दैति अछि फेर जेठ अखारमे २०÷२५ लाख दऽ दैत अछि । एना कऽ बहुत नोक्सानी होइत अछि ।
प्र. फेर गुणस्तरहिन काज कोना भऽ जाइत अछि ?
हम नहि मानैत छी । जे योजना रहैत छैक ओकरा ठेक्केदारके मिट करही पडैत अछि । राज्यके अनुगमन करएबला निकायसभ अछि । ओसभ देखैत अछि । ओ सभ जाधरि सही नहि कएलक ताधरि पेमेन्ट नहि होइत अछि तएँ निर्माण व्यवसायीके दोष देनाई उचित नहि अछि ।
प्र. कनी व्यक्तिगत प्रश्न दिस आबी, चुनावक समयमे कडा प्रतिस्पर्धाक चर्चा छल मुदा बढियाँजकाँ अपने जित गेलियैक ?
हँ, एहिमे इष्ट मित्र साथीसभके बडका सहयोग छल । मतदातासभ हमरापर विश्वास कएलन्हि । जे विश्वास कएलन्हि अछि ओ विश्वासके हम कोनो हालतमे नहि तोडब । हम अगिल्को बेर मनोनयन देने रही मुदा साथीसभ अगिला बेरक लेल छोडि देबएके लेल कहलन्हि तएँ एहिबेर चुनाव लडलहुँ । आ जित सेहो भेटल ।
प्र. संघ संस्थामे लागएबला व्यक्तिके राजनीतिमे आबएके ईच्छा रहैत अछि अपनेके कतेक अछि ?
राजनतियो छैक मुदा पहिने निर्माण व्यवसाय । किछु कमा ली । किछु काज कऽ ली ताहिमे लागल छी ।
प्र. राजनीतियो छैक एकर अर्थ नहि बुझलहुँ ?
व्यवसायके बाद राजनीतियोमे लागब । एखन कनिक व्यवसायमे आगा बैढ जाइत छी ।
प्र. अपने निर्माण व्यवसायी क्षेत्रमे कोना लगलियैक ?
१२÷१३ वर्षसँ एहिमे लागल छी । कोनो काज करएके छल साथी संगत एहिमे भेटल । एहिमे सक्रिय भऽ गेलहुँ ।

About Sujeet Jha

Check Also

पाग रैलीके शक्ति प्रदर्शन नहि, पहिरन प्रदर्शनक रुपमे लेल जाएः भगवान झा, केन्द्रिय अध्यक्ष मैथिल व्राह्मण महासभा

मैथिल ब्राह्मण महासभा जनकपुरधाममे पाग रैली निकाल्ने छल । देशक १४ जिल्लाक ५ हजारसँ बेसी …

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

wholesale jerseys from china